दिनांक 02.09.2012 के जैतपुर बदरपुर क्षेत्र में फिल्म, नाटक, गीत-संगीत इत्यादि में युवावर्ग के लेल अई तरह के क्षेत्र में संभावना हेतु एक टा वोर्कशोप के आयोजन मैथिल यूथ परिषद् द्वारा कैल गेल! वोर्कशोप के अध्यक्षता श्री आनंद झा केलैथ और वोर्
कशोप में उपस्थित भेल श्री मनोज झा (मैथिली फिल्म निर्देशक) अपन मुखार बिंदु स सब गोटे के संबोधित करैत युवावर्ग के लेल की की संभावना ऐछी एय सब क्षेत्र में बिस्तृत रूप से बतेलैथ! श्री शुभ नारायण झा (मैथिली एबं थियेटर कलाकार) कहलैथ जे आजुक समय में मैथिली फिल्म, गीत-संगीत आ अन्य अन्य क्षेत्र में मैथिली में बहुत रास स्कोप अछि वो कहला जे युवावर्ग के लेल बहुत निक अवसर अछि | कश्यप कमल (संगीत नाटक अकादमी) कहला जे अहि क्षेत्र में असीम सम्भावना अछि तैं युवा वर्ग के ज़रूर अई क्षेत्र में करियर बनाबाई के सोचक चाही जाऊ वो अई क्षेत्र में जाई चाहैत छैथ त | अई वोर्कशोप में बहुत विद्वतजन सेहो उपस्थित भेल छलाह जाही में श्री कृपानंद झा सेहो अई क्षेत्र पर प्रकाश दलित कहलें जे युवा वर्ग के बैध चिढ़ का भाग लेबक चाही अई तरह के वोर्कशोप में | अध्यात्मिक क्षेत्र स जुडल श्रेष्ठजन श्री जीवकांत झा युवा के लेल कहला जे मिथिला के युवा सभ प्रतिभाशाली छथि आ मिथिला के विकास में ज़रूर अपन भागीदारी निभेता कियाक त मिथिला के संस्कृति सभ्यता पुरान अछि आ हमरा पूर्ण विश्वास अछि जों मैथिल युवा एकजुट भ माँ मिथिला विकास के लेल कदम आगू बधेलैथ त आब मिथिला के विकास ज़रूर होयत |
अई वोर्कशोप में एकता योगा गुरु श्री कुलदीप यादव सेहो उपस्थित भेल छलाह आ आई वो मैथिल यूथ परिषद के सदस्यता सेहो लेला वो कहला जे अगिला वोर्कशोप योगा के लेल करू जाही में हम पूर्ण रूप स अपन सहयोग करब आ योग सिखायब |
अहि वोर्कशोप में लगभग 75 गोटे उपस्थित भेल छलाह आ बहुत प्रशन्न भेलैथ वोर्कशोप स जुडल विषय पर चर्चा परिचर्चा सुइन क | उपस्थित युवा सभ अई क्षेत्र में अपन करियर बनाबाई लेल सेहो उत्सुक भेलाह | अई वोर्कशोप के आयोजन कराइ में जैतपुर में रहनिहार श्री मुरारी कुमार, श्री अशोक झा, श्री आशुतोष झा अपन पूर्ण योगदान देलैथ | अई वोर्कशोप में मैथिल यूथ परिषद् के महासचिव श्री मुकेश मिश्रा, सचिव श्री चित्रांशु कर्ण, कोषाध्यक्ष श्री बसंत झा वत्स तथा बहुत रास सद्स्यगन छलाह |
अई वोर्कशोप के क्लास २ महिना धैर हर रवि के होयत जेकर सञ्चालन श्री सागर झा (अभिनेता) करता | तथा मैथिल यूथ परिषद् के लेल एकटा नाटक के टीम बनेता जे आगामी दुर्गा पूजा में मैथिल बाहुल्य क्षेत्र में नाटक के मंचन करत |
जय मिथिला जय मैथिली
हमर एकता हमर प्रगति

No comments:
Post a Comment