मैथिल यूथ परिषद् अपन मसाल के आगू बढाबैत एय दुर्गा पूजा में कला और संस्कृति क्षेत्र मे पहिल बेर दिल्ली में 5 ठाम (एक ठाम नै भ सकल) मैथिली नाटक के आयोजन कायल गेल (19 अक्टूबर के K- ब्लाक, सौरव विहार, जैतपुर, 21 अक्टूबर के पुरानी सीमापुरी, 22 अक्टूबर के एकता विहार, जैतपुर, 23 अक्टूबर के बिहार लोक मंच, जनकपुरी (बारिश के कारण इ नाटक नै भ सकल) और 26 अक्टूबर के सुक्र बाज़ार रोड, जैतपुर) अहि नाटक के लेखक एवं निर्देशक मुंबई फिल्म जगत स श्री सागर झा जी अहम् भूमिका निभाबैत चारो ठाम सफलता पुर्बक (आरो घुतरा इ की केलहि) के मंचन संभव भेल! इ नाटक मिथिला तथा भारत के बिभिन्न क्षेत्र में दहेज़ के विरुद्ध जागरूकता के अभियान सरूप मैथिल यूथ परिषद् आम मैथिल युवा के संगठित क एकटा एतिहासिक कदम उठाबैत आगामी कार्यक्रम के कमर कसलक!
मैथिल समाज के तरफ स अभुत्पुर्ब सहयोग प्राप्त भेल ताहि के बास्ते सब मैथिल समाज के स ह्रदय धन्यवाद देत छियैन! समस्त कलाकार के सुभकामना दैत हमर एकता हमर प्रगति के नारा युवा एकता मैथिल एकता के लेल सतत प्रयासरत रहत वास्ते आबाहन करैत अछि! मैथिल यूथ परिषद् के अहि नाटक में भाग लेनहार कलाकार : सागर झा, समीर झा, शैलेश ठाकुर, विजय झा, आशुतोष झा, अनिल कुमार, मुरारी कुमार, राजेश कुमार, रूपेश पांडे, रौशन झा, राकेश झा, सुमन झा, सौरभ झा, कौशल झा, पंकज चौधरी, विकास राज़, सागर ठाकुर, आशुतोष झा, शंकर चौधरी, मुकेश कुमार आदि, अभिनय आ गायन मे मिथिलाक उभरैत चारी टा नव कलाकार-प्रवीण, बिशम्भर झा, चन्द्र शेखर आ शैलेश ठाकुरक संग मंच संचालक विपिन झा केर उपस्थिति सेहो आकर्षक रहल. मैथिलीक प्रसिद्ध गीतकार आ उदघोषक मनीष झा 'बौआभाइ' बीच-बीच मे हास्य कविता आ चुटकुला छोड़ैत दर्शक कें बेस मनोरंजन करौलनि. एय नाटक के फोटो मैथिल यूथ परिषद् के फेसबुक के पेज पर उपलब्ध अछि तथा विडियो अपने सबहक बिच समीक्षा के लेल बहुत जल्द राखी देल जायत!
मैथिल यूथ परिषद् जेना की ज्ञात अछि शिक्षा, रोजगार, कला एवं संस्कृति के विकास के लेल सतत प्रयासरत अछि और अहि क्रम में श्री सागर झा जी मिथिला के भूमि पर काली पूजा और छठी पर्व के सुभ अवसर पर बिभिन्न जगह पर मथिली नाटक करबे के लेल एक सप्ताह पाहिले पूर्ण तयारी के संग जानकी के धरती पर निकैल गेल छैथ! कोनो भी मैथिली संस्था एहन तरहक प्रयास जाही स समग्र विकास के लेल रास्ता प्रसस्त होइत तकर अनुभव के अभाव रहितो मैथिल यूथ परिषद् के लगातार कदम बढैत रहत! आगामी दिल्ली के उत्तम नगर में जैतपुर के रुपरेखा पर कला एवं संगीत पर वर्कशॉप कायल जायत!
मैथिल यूथ परिषद् शिक्षा के क्षेत्र में Personality Development, English Speaking, Accounting, Taxation और मिथिलाक्षर सिखाबय के लेल दिल्ली में श्री समरेन्द्र झा, श्री रेनू मिश्रा और श्री रविन्द्र ठाकुर जी के भार देल गेल जे अगिला महीना संभवतः सुरु करय के लेल संकल्पित अछि जकर कार्यक्रम के घोषणा जल्दी करल जायत!!
21वी सदी में मिथिला के मुख्या बिंदु पर मैथिल तथा अन्य समाज के अलग अलग क्षेत्रक विद्वान के एक ठाम क एय विषय पर गोष्ठी आयोजन तथा संगही नाटक के सफल मंचन दिल्ली के मंडी हाउस में करैक तयैरी चैल रहल अछि!
मैथिल यूथ परिषद् के सदस्यता अभियान सेहो बहुत तेजी स आगू बढ़ी रहल अछि एय दुर्गा पूजा के दर्वियान नव सदस्यक संख्या बहुत रास बढ़ल और मैथिल यूथ परिषद् समस्त मैथिल स सदयस्ता ग्रहण करय के लेल आवाहन करैत अछि!
एहि नाटकक आयोजन मे मैथिल यूथ परिषद् स आनन्द कुमार झा (अध्यक्ष), मुकेश मिश्रा (महासचिव), चित्रांशु कर्ण (सचिव), बसंत झा 'वत्स' (कोषाध्यक्ष), बजरंग मंडल (उपाध्यक्ष), मुरारी कुमार, अशोक झा, अभिषेक झा, जितेन्द्र मिश्रा, प्रशांत कुमार, राजीव कुमार झा, हिमांशु कर्ण, मनीष कुमार (सदस्य) आदिक उपस्थिति कलाकारक उत्साहवर्द्धन मे बेस सहयोगी रहल!
धन्यवाद
जय मिथिला जय मैथिली
हमर एकता हमर प्रगति
www.myparishad.com