मैथिल यूथ परिषद् एकटा नवनिर्मित राष्ट्रीय स्तर के संस्था ऐछ जे भारत के संविधान के पालन करैत दिल्ली में पंजीकृत भेल जेकर पंजीयन संख्या DE/S/49/2012 ऐछ | मैथिल यूथ परिषद् संस्था यूथ एकता मैथिल एकता के विचार पर "हमर एकता हमर प्रगति " के नारा के संग बनल जे मुख्यतः ५ टा कार्य (शिक्षा, रोजगार, स्वास्थ्य एवं संस्कृति, वृद्ध वर्ग के देखरेख आ पुस्तकालय) के लेल कार्यशील ऐछ |
Tuesday, May 15, 2012
Wednesday, May 09, 2012
Monday, May 07, 2012
गोष्ठी संवाद
कैल्ह दिनांक 06/05/2012 कनाट प्लेस के जानल पहचानल जगह इन्डियन कॉफ़ी हाउस में राष्ट्रीय स्तर के पंजीकृत संस्था मैथिल यूथ परिषद् के तत्वाधान में एकटा गोष्ठी के आयोजन कैल गेल छल जाही में निम्नांकित बिंदु पर चर्चा और परिचर्चा भेल |
1. संस्था के आगामी कार्य तथा सदस्यता अभियान जे की भारत के विभिन्न क्षेत्र में चलाबय के लेल निर्णय के संग सदस्य सभ के सौंपल गेल तथा सदस्य सभ अपन अपन प्रतिबध्यता दर्शेला |
2. दिल्ली में मैथिल यूथ सम्मलेन करय के लेल निर्णय कैल गेल जकर घोषणा जगह के उपलब्धि के बाद कैल जैत |
3. दिल्ली के विभिन्न क्षेत्र में बिद्यार्थी वर्ग के लेल वोर्कशोप के आयोजन कैल जायत जकर स्थान एवं जे विद्वान (स्पीकर) रहता ओकर सुचना समय समय पर उपलब्ध करायल जायत जाही में आजुक गोष्ठी के निर्णय के अनुसार पहिल वोर्कशोप १० वीं एवं १२वीं के बिद्यार्थी के की करक चाही ताहि के लेल आगामी रवि दिन जैत पुर बदर पुर क्षेत्र में आयोजन कैल जैत | एही वोर्कशोप में पोलिटेक्निक, आईटीआई , बैंक के परीक्षा आ दोसर व्यावसायिक परीक्षा के बारे में बतोल जैत आ संगही मिथिलाक्षर सेहो सिखाओल जैत | मिथिलाक्षर के बढ़ावा के लेल सेहो स्पीकर उपलब्ध रहता |
4. मिथिला क्षेत्र में कंप्यूटर साक्षरता तथा मिथिलाक्षर साक्षरता जे १० -१० दिन के लेल चलाओल जायत जाही पर चर्चा एवं परिचर्चा कैल गेल |
5. मैथिल यूथ परिषद् के अपन वेब पोर्टल www.myparishad.com सब सदस्य के सहभागिता स शुरू कैल गेल |
6. नेपाल में मिथिला राज्य के लेल धरना पर बैसल लोक सभ जे सीता नवमी के दिन बम बिस्फोट में मारल गेला हुनकर आत्मा के शांति के लेल २ मिनट के लेल मौन धारण कैल गेल तथा नेपाल दूतावास एबम यूनाईटेड नेशन के तात्कालिक कदम उठाबई के लेल ज्ञापन सौंपल जायत ताहि पर निर्णय भेल |
एही गोष्ठी में मैथिल यूथ परिषद् संस्था के अध्यक्ष श्री आनंद झा , महासचिव श्री मुकेश मिश्रा, सचिव श्री चित्रांशु कर्ण, कोषाध्यक्ष श्री बसंत झा वत्स, सदस्य - श्री गणेश झा (आसाम ), श्री दिवाकर झा (हरियाणा ), श्री शीतांशु झा शिवेश (पत्रकार), चन्दन कुमार पाण्डेय, देव कुमार, मयंक मिश्रा, राजीव झा आ सलाहकार - श्री कृपानंद झा एवं मैथिल फोंडेसन के अध्यक्ष श्री पवन झा, मैथिल फोंडेसन के महासचिव श्री कौशल झा एबम अन्य उपस्थित छलाह |
धन्यवाद
मैथिल यूथ परिषद्
हमर एकता हमर प्रगति
Thursday, May 03, 2012
समूह गीत
सब मैथिल मिल , हाथ जोरी क
बढ़ा रहल मिथिला के ख्याति
हमर एकता .....................
जागि चुकल अछि युवा समाज
महिला - पुरुख ताकैये काज
शिक्षा चाही , दीक्षा चाही
तहने बढ़ते विकाश के गति
हमर एकता .....................
रोजगार के करू व्यबस्था
स्वास्थक चारू कात सुरक्षा
दुनियां के संग चलई के छई त
सब कियो करबै एक्के मति
हमर एकता .....................
भाषा हम्मर मीठे मीठ
पाग बसे ये हम्मर शीश
भेटत मात्र आनंद जहाँ
मैथिल के बनायत एक्के टा जाति
हमर एकता .....................
हमर एकता हमर प्रगति
हमर एकता .....................
नेपाल में शांति व्यवस्था लेल भारत सरकार सँ अनुरोध
सीता के जन्म सँ मिथिला भेल छल धन्य लेकिन जहिना सीताक जिन्दगी पुर्णतः कष्टप्रद रहल तहिना मिथिला आईयो कष्ट में डूबल अछि | एक त मिथिला के दू भाग में बांटी कमजोर क देल गेल एक टा भाग नेपाल में दोसर भाग भारत में | नेपाल में मैथिलगण मिथला राज्यक मांग के लेल सीता नवमी के दिन शान्तिप्रद धरना करैत छलाह , वोही जगह पर कोनो राक्षस बम बिस्फोट क देलक जाही में चारी गोटा अपन प्राणक बलिदान डा देलैथ आ दू दर्जन स ज्यादा घायल भ भेला | हे जानकी आहा हुनकर आत्मा के शांति प्रदान करब | इ अनहोनी भारत और नेपाल दुनु क्षेत्रक मैथिल के आँखी में नोर भरी देलक | हम सब मैथिल यूथ परिषद् दिवंगत परिवार के संग छि और अहि बात के लेल भारत सरकार स विनम्र अनुरोध क रहल छी की नेपाल में मैथिल के रक्षा करय के लेल नेपाल सरकार स वार्ता करैत | हम भारतीय मैथिल युवा नेपाल में रहय बला मैथिल के संग छि |
जय मिथिला जय मैथिली
हमर एकता हमर प्रगति
हमर एकता हमर प्रगति
संवाद
वॉयस ऑफ़ मिथिला के समाचार
मैथिल यूथ परिषद् जे एकटा नवनिर्मित राष्ट्रीय स्तर के संस्था ऐछ जे भारत के संविधान के पालन करैत दिल्ली में पंजीकृत भेल जेकर पंजीयन संख्या DE/S/49/2012 ऐछ | मैथिल यूथ परिषद् संस्था यूथ एकता मैथिल एकता के विचार पर "हमर एकता हमर प्रगति " के नारा के संग बनल जे मुख्यतः ५ टा कार्य (शिक्षा, रोजगार, स्वास्थ्य एवं संस्कृति, वृद्ध वर्ग के देखरेख आ पुस्तकालय) के लेल कार्यशील ऐछ |
अपने सभ बंधू एवं बांधवी स आग्रह आ अनुरोध अछि जे अई संस्था के गोष्ठी में भाग ली |
१. संस्था के उपर परिचर्चा |
२. आगामी कार्यक्रम के विषय में चर्चा |
३. सदस्यता अभियान पर चर्चा |
४. नेपाल के जनकपुर में मिथिला राज्य के लेल धरना के बिच सीतानवमी के दिन भेल बम बिस्फोट में मारल गेल दिवंगत के श्रधांजलि तथा ताहि घटना पर परिचर्चा !!
ई गोष्ठी रवि दिन साँझ में ४ बजे स ७ बजे तक कॉफ़ी हाउस, कर्नाट प्लेस, नई दिल्ली में हैत जाही में एंट्री फीस ५० रुपया रहत |
जाही में सभ गोटे संस्था के नव पुराण सदस्य अपन अपन विचार रखता !
अपने समस्त यूथ (युवा) स आग्रह जे एय गोष्ठी में सामिल भय अपन एकता अपन प्रगति के नारा के चिर काल तक स्थापित करय में भागीदारी निभावी !!
जय मिथिला जय मैथिली
हमर एकता हमर प्रगति
संस्था के वेबसाइट ऐछ : http://www.myparishad.com/
संस्था के पेज ऐछ : https://www.facebook.com/
संस्था के ब्लॉग के पता ऐछ :http://
संस्था के इ-मेल आईडी : myparishad@gmail.com
संस्था कें मीडिया केंद्र : वॉयस ऑफ़ मिथिला (https://www.facebook.com/
मीडिया केंद्र के ब्लॉग : http://
Tuesday, May 01, 2012
Subscribe to:
Posts (Atom)



