Wednesday, December 19, 2012

इंडिया गेट पर प्रदर्शन एवं कैंडल मार्च

दिल्ली में रवि दिन भेल सामूहिक बलात्कार के विरोध दिल्ली के इंडिया गेट पर प्रदर्शन एवं कैंडल मार्च।
अपने सभ मैथिल युवा स "मैथिल यूथ परिषद" आह्वान क रहल अछि की जे युवा दिल्ली में उपस्थित होई वो ई प्रदर्शन में जरुर भाग ली।

समय : साँझ 6 बजे 
तिथि : 20 दिसम्बर 2012,
स्थान : इंडिया गेट, नयी दिल्ली

जय मिथिला जय मैथिली
हमर एकता हमर प्रगति

संपर्क : 09873836051, 09560240910, 09971681232, 9310350503
www.myparishad.com

Sunday, November 11, 2012

मिथिला के धरती पर मैथिली नाटक

मैथिल यूथ परिषद् अपन कला क्षेत्र में दिल्ली में धमाल मचेला के बाद आब माँ मिथिला के धरती पर मैथिली नाटक (आतंकबादी मुरारी बाबु) के आयोजन करय के लेल अपन कमर कसलक ! नाटक के लेखक आ निर्देशक मुंबई फिल्म जगत के जानल -मानल कलाकार श्री सागर झा जी क रहल छैथ!!

12 अक्टूबर के बरैल, मधुबनी (मुंबई के कोर्डिनेटर सुभाष मिश्रा जी के गाम)
13 आ 14 अक्टूबर के फुलपरास, मधुबनी 
20 अक्टूबर के जाता-काता, बेनीबग, मुजफ्फरपुर 

सब भाई बंधू स आग्रह जे एय नाटक के जरूर देखि आ मैथिल मैथिल यूथ परिषद् के तरफ स समस्त मिथिलावासी के धनतेरस, दीपावली, भारदुतिया आ छठ के हार्दिक सुभकामना!!

धन्यवाद
मैथिल यूथ परिषद्
हमर  एकता हमर प्रगति
संपर्क : 09873836051, 0957004875, 09004565770,
www.myparishad.com

Monday, November 05, 2012

नाटकक श्रृंखलाबद्ध प्रदर्शन

मैथिल यूथ परिषद्  अपन मसाल के आगू  बढाबैत एय दुर्गा पूजा में कला और संस्कृति क्षेत्र मे पहिल बेर दिल्ली में 5 ठाम (एक ठाम नै भ सकल) मैथिली  नाटक के आयोजन कायल  गेल (19 अक्टूबर के K- ब्लाक, सौरव विहार, जैतपुर, 21 अक्टूबर के पुरानी सीमापुरी, 22 अक्टूबर के एकता विहार, जैतपुर, 23 अक्टूबर के बिहार लोक मंच, जनकपुरी (बारिश के कारण इ नाटक नै भ सकल) और 26 अक्टूबर के सुक्र बाज़ार रोड, जैतपुर) अहि नाटक के लेखक एवं निर्देशक मुंबई फिल्म जगत स श्री सागर झा जी अहम् भूमिका निभाबैत चारो ठाम सफलता पुर्बक (आरो घुतरा इ की केलहि) के मंचन संभव भेल! इ नाटक मिथिला तथा भारत के बिभिन्न क्षेत्र में दहेज़ के विरुद्ध जागरूकता के अभियान सरूप मैथिल यूथ परिषद् आम मैथिल युवा के संगठित क एकटा एतिहासिक कदम उठाबैत आगामी कार्यक्रम के कमर कसलक! 

मैथिल समाज के तरफ स अभुत्पुर्ब सहयोग प्राप्त भेल ताहि के बास्ते सब मैथिल समाज के स ह्रदय धन्यवाद देत छियैन! समस्त कलाकार के सुभकामना दैत हमर एकता हमर प्रगति के नारा युवा एकता मैथिल एकता के लेल सतत प्रयासरत रहत वास्ते आबाहन करैत अछि! मैथिल यूथ परिषद् के अहि नाटक में भाग लेनहार कलाकार : सागर झा, समीर झा, शैलेश ठाकुर, विजय झा, आशुतोष झा, अनिल कुमार, मुरारी कुमार, राजेश कुमार, रूपेश पांडे, रौशन झा, राकेश झा, सुमन झा, सौरभ झा, कौशल झा, पंकज चौधरी, विकास राज़, सागर ठाकुर, आशुतोष झा, शंकर चौधरी, मुकेश कुमार आदि, अभिनय आ गायन मे मिथिलाक उभरैत चारी टा नव कलाकार-प्रवीण, बिशम्भर झा, चन्द्र शेखर आ शैलेश ठाकुरक संग मंच संचालक विपिन झा केर उपस्थिति सेहो आकर्षक रहल. मैथिलीक प्रसिद्ध गीतकार आ उदघोषक मनीष झा 'बौआभाइ' बीच-बीच मे हास्य कविता आ चुटकुला छोड़ैत दर्शक कें बेस मनोरंजन करौलनि. एय नाटक के  फोटो मैथिल यूथ परिषद् के फेसबुक के पेज पर उपलब्ध अछि तथा विडियो अपने सबहक बिच समीक्षा के लेल बहुत जल्द राखी देल जायत!

मैथिल यूथ परिषद् जेना की ज्ञात अछि शिक्षा, रोजगार, कला एवं संस्कृति के विकास के लेल सतत प्रयासरत अछि और अहि क्रम में श्री सागर झा जी मिथिला के भूमि पर काली पूजा और छठी पर्व के सुभ अवसर पर बिभिन्न  जगह पर मथिली नाटक करबे के लेल एक सप्ताह पाहिले पूर्ण तयारी के संग जानकी के धरती पर निकैल गेल छैथ! कोनो भी मैथिली संस्था  एहन तरहक प्रयास जाही स समग्र विकास के लेल रास्ता प्रसस्त होइत तकर अनुभव के अभाव रहितो मैथिल यूथ परिषद् के लगातार कदम बढैत रहत! आगामी दिल्ली के उत्तम नगर में जैतपुर के रुपरेखा पर कला एवं संगीत पर वर्कशॉप कायल  जायत!

मैथिल यूथ परिषद् शिक्षा के क्षेत्र में Personality Development, English Speaking, Accounting, Taxation और मिथिलाक्षर सिखाबय के लेल दिल्ली में श्री समरेन्द्र झा, श्री रेनू  मिश्रा और श्री रविन्द्र ठाकुर जी के भार  देल गेल जे अगिला महीना संभवतः सुरु करय के लेल संकल्पित अछि जकर कार्यक्रम के घोषणा जल्दी करल जायत!! 

21वी सदी में मिथिला के मुख्या बिंदु पर मैथिल तथा अन्य समाज के अलग अलग क्षेत्रक विद्वान के एक ठाम  क एय विषय पर गोष्ठी आयोजन  तथा संगही  नाटक के सफल मंचन दिल्ली के मंडी हाउस में करैक तयैरी चैल रहल अछि!

मैथिल यूथ परिषद् के सदस्यता अभियान सेहो बहुत तेजी स आगू बढ़ी रहल अछि एय दुर्गा पूजा के दर्वियान नव सदस्यक संख्या बहुत रास बढ़ल और मैथिल यूथ परिषद् समस्त मैथिल स सदयस्ता ग्रहण करय के लेल आवाहन करैत अछि! 

एहि नाटकक आयोजन मे मैथिल यूथ परिषद् स आनन्द कुमार झा (अध्यक्ष), मुकेश मिश्रा (महासचिव), चित्रांशु कर्ण (सचिव), बसंत झा 'वत्स' (कोषाध्यक्ष), बजरंग मंडल (उपाध्यक्ष), मुरारी कुमार, अशोक झा, अभिषेक झा, जितेन्द्र मिश्रा, प्रशांत कुमार, राजीव कुमार झा, हिमांशु कर्ण, मनीष कुमार (सदस्य) आदिक उपस्थिति कलाकारक उत्साहवर्द्धन मे बेस सहयोगी रहल!

धन्यवाद 
जय मिथिला जय मैथिली 
हमर एकता हमर प्रगति 
www.myparishad.com 

Monday, October 15, 2012

दिल्ली के जंतर मंतर पर प्रदर्शन और केंडल मार्च भेल

मधुबनी जिला में प्रशांत कुमार के नृशंस हत्या और अई हत्या के विरोध में जन प्रदर्शन पर पुलिस के द्वारा कैल गेल गोलीबारी में 5 आदमी के मृत्यु तथा बहुत रास लोग घायल भा गेल ताहि के विरोध में दिनांक 14 अक्टूबर 2012 के "मैथिल यूथ परिषद् " के बैनर के निचा बहुत रास लोक दिल्ली के जंतर मंतर पर प्रदर्शन तथा कैंडल मार्च केलक ।

अहि घटना स आक्रोशित लोक सभ बिहार के नितीश सरकार  के निरंकुश तथा तानाशाह बतेलैथ । मधुबनी के जनता  पिछला एक   सप्ताह स बिहार प्रशासन के अत्याचार सहन क रहल अछि । ओना ता पिछला एक महिना स घटना करम चैल रहल ऐछी मुदा 3 दिन स जे भ रहल अछि  मधुबनी में ओ  भारत के इतिहास के बहुत कम घटना एय तरहक होइत ऐछी! प्रशांत के अर्धनग्न  अबस्था में भेटल लाश जकर पहचान प्रशांत के माँ और दादी के केला के बावजूद प्रशासन लाश  के देबय के लेल मना केलक जेकर  विरोध में पूरा मधुबनी जिला में हिंसा और विरोध प्रदर्शन शुरू  भ गेल जाही में पुलिस अंधाधुंध  लाठी और गोली बर्सेलक जाही में अखन तक 5 लोक  मारेल गेल और बहुत रास लोग जख्मी भ भेल!!

बिहार  के शासन व्यवस्था त तेना चरमरा गेल अछि जे पुछू नै । जे अपराधी अछि ओकरा प्रशासन संरक्षण द  रहल छाई और जे एकर विरोध का रहल अछि आ उचित जांचक मांग क रहल अछि ओकरा पर गोलीबारी भ रहल अछि । अंह सभ के बता दी जे ई हत्याकांड के मुख आरोपी के तुरंत तबादला क देल गेल मधुबनी स और अतबे नै प्रशासनिक अधिकारी के तबादला संगे तरक्की के  तमगा लगा क दोसर शहर में गंदगी फैलाबाई लेल भेज देल गेल।

 आई मैथिल यूथ परिषद् प्रदर्शन आ कैंडल मार्च केलक । अई  प्रदर्शन आ कैंडल मार्च में तक़रीबन 90 टा मैथिल तथा 20 टा बिहार के दोसर जिला सभ स  सदस्य शामिल भेल छलाह ।  इ प्रदर्शन बहुत ही शांतिपूर्ण  ढंग स संपन्न भेल । अई प्रदर्शन में  " इंडिया अगेंस्ट करप्सन " के सदस्य सभ सेहो शामिल भेला और "अरविन्द केजरीवाल " जी के मंच स सेहो ई प्रदर्शन के समर्थन  प्राप्त भेल ।

जय मिथिला जय मैथिलि जय मैथिल
हमर एकता हमर प्रगति

Saturday, October 13, 2012

प्रदर्शन और केंडल मार्च





मधुबनी में भेल प्रशांत हत्या कांड में प्रशासनिक कारवाय के विरोश में मैथिल यूथ परिषद् दुवारा c दिल्ली के जंतर मंतर पर!!

ओना ता पिछला एक महिना स घटना करम चैल रहल ऐछी मुदा कैल खानी भेल मधुबनी में प्रदर्शन जे भारत के इतिहास के बहुत कम घटना एय तरहक होइत ऐछी! प्रशांत के अर्ध्गार्दन अबस्था में भेटल लास जकर पहचान प्रशांत के माँ और दादी के केला के बावजूद प्रशासन लास के देबय के लेल मना केलक जाकर विरोध में पूरा मधुबनी जिला में हिंसा और विरोध प्रदर्शन सुरु भ गेल जाही में पुलिस अंधाधुन लाठी और गोली बर्सेलक जाही में 2-3 लोग मारेल गेल और बहुत रास लोग जख्मी भ भेल!!

एय तरहक प्रशासन के विरोध के लेल मैथिल यूथ परिषद् कैल जंतर मंतर पर संध्या 4 बजे स विरोध प्रदर्शन और केंडल मार्च कराय के घोषणा क रहल ऐछी!!

अपने समस्त मैथिल भाई बंधू स आग्रह ऐछी जे एय प्रदर्शन में सामिल होय और लगातार भ रहल ऐछी मधुबनी में प्रशासन दुवारा अत्याचार के ख़तम कायल जा!!

मैथिल यूथ परिषद्
हमर एकता हमर प्रगति

संपर्क : 9873836051, 9560240910, 9971681232, 7503210212, 9310350503

Monday, September 24, 2012

मैथिल यूथ परिषद् केलक अश्लील भोजपुरी और मैथिली गीत के बिरोध

दिनांक 23 सितम्बर 2012  के मैथिल यूथ परिषद् के इंडियन कॉफ़ी हाउस, कर्नाट प्लेस, नई दिल्ली में गोष्ठी भेल जाही के अदय्क्षता श्री मनोज झा (मैथिली फिल्म निर्देशक) केलैथ! गोष्ठी के सुरुवात आनंद झा मैथिल यूथ परिषद् के उदेश्य और पिछला ६ महिना में संस्थागत कोन-कोन काज भेल ताहि पर चर्चा केलैथ!
गोष्ठी के पहिल एजेंडा : आगामी दुर्गा पूजा में अशलील भोजपुरी और मैथिली गीत पर रोक कोना लागायल जा ताहि पर चर्चा भेल जाही में बहुत रास लोग अपन अपन विचार व्यक्त केलैथ!
१. दुर्गेश चन्द्र मिश्रा : कहलैथ जे निक गीत के हमेशा मैथिल यूथ परिषद् प्रोमोट करत और अश्लील गीत के विरोध!
२. सोनू मिश्रा : अश्लील गीत अपन समाज के दूषित क रहल ऐछी!
३. अनिल झा :  अश्लील गीत के रोकय के लेल यूथ के मानसिकता के बदलय परत!
४. रेनू मिश्रा : कोनो गायक या म्यूजिक कंपनी के फोर्स नई कायल जा एय के लेल सबसे निक रहत जे लोग के मानसिकता बदलल जा!
५. सुभनारायण झा : मैथिली गीत त एक- दू टा  अश्लील ऐला और आशा ऐछी जे आगू एय तरहक गीत नई आयत मुदा भोजपुरी गीत अपन मिथिलांचल के पूर्ण रूप स अपन चपेट में ल चुकल ऐछी जकर कारन ऐछी युवावर्ग के भोजपुरी अश्लील गीत बेसी पसंद ऐछी और आजुक समय में मिथिलांचल में जतेक दुर्गापूजा समिति ऐछी ओकर पदाधिकारी युवा सब छैथ और युवा सब जानी बुझी क भोजपुरी अश्लील गीत बजाबय के लेल निर्देश दय छैथ!
६. मयंक मिश्रा : सुंदर संगीत के उपलब्ध कराव बैन नहीं, अपन संस्कार डेप्लोप करू!
७. कृपानंद झा : अश्लील गीत पर बैन भेनाय अति आवश्यक ऐछी जे कलाकार निक मैथिली गीत गावैत छैथ हुनकर पोपुलर्टी u tube  पर देख सकय छि जेना कुञ्ज बिहारी आ रजनी पल्लवी और कलाकार सब छैथ!
८. सम्रेंदर झा : यदि यूथ के डिमांड अशलील गीत छै  मुदा मार्केट में उपलब्ध नई हेतै त वो यूथ अपन मानसिकता खुद बदलत!
९. अर्चना भारती : कलाकार के आहा की गलती देबय आर्केष्ट्रा में डिमांड होय छै अशलील गीत गाबय के लेल ओतय कलाकार की करतय, हमर हिसाब स कोनो गीत मार्केट में निकलय स पाहिले सेंसर बोर्ड स पास भेनाय अति आवश्यक ऐछी टखने टा अश्लील गीत पर रोक होयत!
१०. मुकेश मिश्रा : पाहिले त सब म्यूजिक कंपनी के एक टा सुचना पत्र देनाय अति आवश्यक ऐछी जे अश्लील गीत नई निकालय के लेल अपन अपन कंपनी स और जतेक अशलील जीत गाबय बला कलाकार छैथ हुनका स एक टा अनुरोध जतायल जेतैन मानता त ठीक नई त राज ठाकरे के स्टाइल में ५०-१०० यूथ के जमा क क म्यूजिक कंपनी पर सीधे धाबा करक ऐछी!
११.  मनोज झा : अश्लील गीत के मार्केट में जाये नई देबाक ऐछी एय के लेल मैथिल यूथ परिषद् आगामी दुर्गापूजा में २०००-३००० हज़ार पम्पलेट प्रिंट करवा क पूरा मिथिलांचल में लगवा देयौ!

गोष्ठी के दोसर एजेंडा : अनुष्का सामूहिक बलात्कार और मडर जे 28 जून के कूअर गाँव (जय नगर) में भेल छल जाही में अखन तक २ टा अपराधी पकरल गेल ऐछी और एक टा अखनो तक फरार ऐछी ओकर पाछु अस्थानिये नेता और प्रशासन के हाथ ऐछी! एय मुद्दा के मैथिल यूथ परिषद् बिहार के मुख्यमंत्री के लैटर देबय के लेल फेसला लेलक और संगही मीडिया में एय मुद्दा के हाईलाइट  स्थानिये नेता और प्रशासन पर सेहो दबाब बनाबय के प्रयास करत!

गोष्ठी में रामजी सिंह (अदय्क्ष बिहार प्रदेश पंचायती राज्य मंच, भाजपा) और नीलम सहनी ( बिहार प्रदेश मंत्री, भाजपा) सब उपस्थित भेलैथ और अपन अपन विचार व्यक्त केलैथ!  रामजी सिंह कहलैथ जे अनुष्का बलात्कार और मडर केस पर हम प्रशासन स बात करब जे एय केस के अखन तक अंजाम तक कियाक नई पहुचायल गेल और एय केस में कोण स्थानिये नेता के हाथ ऐछी!

कृपानंद झा जी कहलैथ जे मिथिलांचल में पुस्तकालय के निर्माण भेनाय अति आवश्यक ऐछी और मैथिल यूथ परिषद् के मुख्या उदेश्य में सेहो ऐछी पुस्तकालय के निर्माण केनाय ओही सन्दर्भ में श्री मनोज झा अपन गाँव (परजूवाइर) में एक कठा जमीन देबय के फेसला केलैथ और सोनू मिश्रा अपन गाँव (पिलखवार) में बनल पुस्तकालय भवन देबय के फेसला केलैथ!

गोष्ठी में मैथिल यूथ परिषद् में महिला प्रकोठ के अदय्क्ष रेनू मिश्रा के सर्वसहमति स बनायल गेल!  अदय्क्ष आनंद झा कहलैथ जे शिक्षक बहाली बला एजेंडा पर एय गोष्ठी में चर्चा नई कायल गेल आब अगिला गोष्ठी में कायल जायत और आजुक गोष्ठी के बिराम दैत कहला जे आगामी दुर्गापूजा में मिथिलांचल में जहा तक हम सब पहुच सकब बैनर, पोस्टर २०००-३००० हज़ार हर जगह पर लागायल जायत और जतेक दुर्गापूजा समिति ऐछी हुनका सबके पत्र के माध्यम स सुचना देल जायत जे अश्लील भोजपुरी और मैथिली गीत नई बजाबय के लेल! अनुष्का मडर केस के लेल श्री रामजी सिंह के भार देल गेल जे एय केस के आहा अपना स्तर पर जल्द स जल्द दोषी के सजा दियाव और मैथिल यूथ परिषद् एय के लेल आगनी सनिवार के साझ में ६ बजे इंडिया गेट पर केंडल मार्च करय के निर्णय लेलक!

लास्ट में कुञ्ज बिहारी आ हुनकर टीम के साथ भेलैन दुर्घटना जाही में ४ टा कलाकार मारल गेला हुनका आत्मा के सांति के लेल २ मिनट के मौन रखल गेल!! 

गोष्ठी में अदय्क्ष आनंद झा, महासचिव मुकेश  मिश्रा, कोषाअदय्क्ष बसंत झा वत्स, मंखुश झा, अभिषेक झा, मयंक मिश्रा, अनिल झा, दुर्गा नन्द कुमार, दुर्गेश चन्द्र मिश्रा, मनोज झा (मैथिली फिल्म निर्देशक), सुभनारायण झा (मैथिली फिल्म कलाकार), विनोद साजन (मैथिली कलाकार) , जोनी त्यागी (आर्टिस्ट), समरेन्द्र झा, रेनू मिश्रा, सोनू मिश्रा, राम चन्द्र झा, कृपानंद झा, अंचल भारती (मैथिली गायिका), अशिस कुमार झा, रामजी सिंह (अदय्क्ष बिहार प्रदेश पंचायती राज्य मंच, भाजपा), नीलम सिंह (बिहार प्रदेश मंत्री, भाजपा)  और बहुत रास लोग उपस्थित भेला!!
जय मिथिला जय मैथिली
हमर एकता हमर प्रगति