Thursday, May 03, 2012

समूह गीत

हमर एकता हमर प्रगति 
सब मैथिल मिल , हाथ जोरी क 
बढ़ा रहल मिथिला के ख्याति 
हमर एकता .....................

जागि चुकल अछि युवा समाज
महिला - पुरुख ताकैये काज
शिक्षा चाही , दीक्षा चाही
तहने बढ़ते विकाश के गति
हमर एकता .....................

रोजगार के करू व्यबस्था
स्वास्थक चारू कात सुरक्षा
दुनियां के संग चलई के छई त
सब कियो करबै एक्के मति
हमर एकता .....................

भाषा हम्मर मीठे मीठ
पाग बसे ये हम्मर शीश
भेटत मात्र आनंद जहाँ
मैथिल के बनायत एक्के टा जाति
हमर एकता .....................

हमर एकता हमर प्रगति
हमर एकता .....................

1 comment: