Thursday, May 03, 2012

नेपाल में शांति व्यवस्था लेल भारत सरकार सँ अनुरोध


सीता के जन्म सँ मिथिला भेल छल धन्य लेकिन जहिना सीताक जिन्दगी पुर्णतः कष्टप्रद  रहल तहिना मिथिला आईयो   कष्ट में डूबल  अछि | एक त मिथिला के दू भाग में बांटी  कमजोर क देल गेल एक टा भाग नेपाल में दोसर भाग भारत में |  नेपाल में मैथिलगण   मिथला राज्यक मांग के लेल सीता नवमी के दिन शान्तिप्रद  धरना करैत छलाह ,  वोही जगह पर  कोनो राक्षस बम बिस्फोट क देलक जाही में चारी गोटा अपन प्राणक  बलिदान डा देलैथ  आ  दू दर्जन स ज्यादा घायल भ भेला |  हे जानकी आहा हुनकर आत्मा के शांति  प्रदान करब |  इ अनहोनी भारत और नेपाल दुनु क्षेत्रक मैथिल के आँखी  में नोर भरी देलक | हम सब मैथिल यूथ परिषद् दिवंगत  परिवार के संग छि और अहि बात के लेल भारत सरकार स विनम्र  अनुरोध क रहल छी की   नेपाल में मैथिल के रक्षा करय के लेल नेपाल सरकार स वार्ता  करैत | हम भारतीय मैथिल युवा नेपाल में रहय बला मैथिल के संग छि |

जय मिथिला जय मैथिली
हमर एकता हमर प्रगति 

No comments:

Post a Comment